शुक्रवार, 25 फ़रवरी 2011

मिथिला माए@प्रभात राय भट्ट




अहो भाग्य अछि हमर जन्म लेलौ मिथिला माए के कोरा में !!

एहन निश्छल आ बत्सल प्रेम भेटत नए चाहुओरा m

प्रकृति केर सुन्दर उपहार ,संस्कृति केर बिराट संसार !!

मानबता केर सर्बोतम ब्याबहार मिथिलाक मुलभुतआधार !!

राम रहीम मंदिर मस्जिद दसहरा होई या ईद क रित !!

मिथिलावासी हिदू होई या मुस्लिम एक दोसर स:करैछैथ प्रीत !!

मिथिलाक पसु पंछी सेहो जनैत अछि प्रेमक परिभाषा !!

मधुरों स:मधुर अछि मिथिलाक मैथिलि भाषा !!

ज्ञान सरोबर एतिहासिक धरोहर अछि मिथिलाक संस्कृति !!

मन मग्न भजईत अछि देख क सुन्दर आ मनोरम प्रकृति !!

मिथिले में जन्म लेलैथ सीता केर रूप में माए भगवती !!

महाकवि विद्यापति केर चाकर बनला महादेव उमापति !!

वैदेही केर सुन्दरता पर मोहित भेलैथ भगवान राम !!

बसुधा केर हृदय बनल अछि हमर महान मिथिलाधाम !!

कहैछैथ शास्त्र पुराण विद्वान पंडित आऔर प्रोहित !!

मिथिलावासी क दर्शन स:मात्र भजाईत अछि !!

मनुख क सम्पूर्ण पाप तिरोहित !!

रचनाकार :-प्रभात राय भट्ट



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

b