आजु समाज  किए अतेक बिमार छै
दुमुहा साप  सन सभक किरदार छै
जुनि भेट्त कियो एहि ठाँम जेहन्दार 
सभक सभ अगबे अगती कए सरदार छै
जुनि पुछियौ ने हिन्का स हिनक इमान 
हिनक रक्त नलि मे प्रवाहित भ्रष्टाचार छै
चोर कए चोर कहनैयो बात बड खराब छै
चोरियो केनाए आब समानित अधिकार छै
भ्रष्टाचार क पक्षपोषण मे ओहो अछी लागल
प्रतिनिधि आ कि सरकार सब के सब बिमार छै
जुनि हाथ पैर हाथ धरी निरास बैसु बाबु
सब रोग क कुनु ने कुनु जरुर उपचार छै
सब मिलजुलि दिय भ्रस्टाचार क जडि उपारि
सभ्य  समाज  लेल सभ्यता के सरोकार छै
By@ prabhat punam
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
b