रविवार, 8 जुलाई 2012

भजनावली

भजनावली

कने सुनियौ ने हमरो पुकार बाबा -२

अहाँ नै सुनब तं हम ककरा सुनाबी
मोनक वेदना कोना कs देखाबी
दुःख कs बोझ भेटल हमरा बड भारी
दुःख कें दूर करू हे भोलेनाथ बाबा
कने सुनियौ ने हमरो पुकार बाबा-२

दुःख क बोझ उठबैत उठबैत थाकिगेल कान्ह
ब्यथाक बयार उठल टूटीगेल सब्र केर बान्ह
दुखक मारल हम जीवन सं हारल
जीवन कोना चलत फूटैय मुह में लाबा
कने सुनियौ ने हमरो पुकार बाबा -२

मोन में शोक देह में विभिन्न रोग
कोना करी हम पूजा पाठ बन्गी
भिनभिन भिन्क्ल अछि हमर जिनगी
हम तीर्थ कोना करी काशी कावा
कने सुनियौ ने हमरो पुकार बाबा -२

कल्पी कल्पी बाबा हम करैत छि निहोरा
दिल के दिया में जरौने छि नोरक वाती
दियौ आशीष कनिया हमर रहे अहिबाती
अन्न विनु नेना बेकल विनु रोटी के जरैय ताबा
कने सुनियौ ने हमरो पुकार बाबा -२

रचनाकार- प्रभात राय भट्ट

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

b