शुक्रवार, 16 सितंबर 2011

मैथिलि हमर भाषा @प्रभात राय भट्ट

जन्म हमर मिथिलामे मैथिलि हमर भाषा -२
मिथिलाक स्वाभिमान बढ़ाएब करब नै ककरो आशा -2
बसु अमेरिका अफ्रीका चाहे लन्दन या जापान
बाजल करी मैथिलि भाषा बढ़त अहंक शान
मृदुलभाशी मिथिलावासी ठोर पैर सैद्खन मुश्कान
सदभाव सद्प्रेम अछि अप्पन मिथिलाक पहिचान

जन्म हमर मिथिलामे मैथिलि हमर भाषा -२
मिथिलाक स्वाभिमान बढ़ाएब करब नै ककरो आशा -2
र्मभुमिक रंगमंच पैर मिथिलाक झंडा फहराऐब
सुख समृद्धि शांतिक प्रगतिशील मिथिला बनाऐब
सफलता केर  शिखर चूमी मिथिलाक शान बढ़ाऐब
आमूल परिवर्तन के गीत झूमी झूमी हम गाएब

जन्म हमर मिथिलामे मैथिलि हमर भाषा -२
मिथिलाक स्वाभिमान बढ़ाएब करब नै ककरो आशा -2
बेर बेर मिथिला पैर रचल जईय शाषक के षड़यंत्र
बसुधा के हृदय मिथिला पैर शाषण अछि परतंत्र
मिथिलाक मैथिल अंगीकार करी क्रांतिक मूलमंत्र
बनाबू अपन भाषा भेष शाशित मिथिला राज्य स्वतंत्र
रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

b