मंगलवार, 21 जून 2011

६०१ सभासद महान@प्रभात राय भट्ट

जे नै देखलौं कतय दुनियां में
ओ सभटा देखलौं नेपाल देस में
चोर डाका घुसल शिंहदरवार में
लोकतान्त्रिक नेता क भेष में
लूटपाट में सभ लागल अछि
 देसक मालखजाना
भिखमंगा कह्बैय अपना के 
आब उच्च राजघराना 
साईकल जे चलबैछल बिनु ब्रेक के
ओ करैय लैंडक्रूजर के सवारी,
जे पेनहैछल फाटलपुरान अंगा
ओ पेन्हैय आब सुटसफारी
उज्जर केश रैंग करैय कारी
खाई में जेकरा छल आफद चायपान
ओ बियर वार में करैय मधुपान
गाम में जेकर छल टुटलफूटल मकान
राजधानीमें बनौलक महल आलीशान
देखू यी चोर नेता सभक शान
सय में अछि पचासी बेईमान
तैयो अछि ६०१ सभासद महान
जे नै देखलौं कतय दुनियां में
ओ सभटा देखलौं नेपाल देस में
दू वर्ष में नै बनौलक संविधान
संविधानसभाक समय केलक अवसान
फेर एक वर्ष ललक अनुदान
ओकरो यी ६०१ केलक अपमान
फेर लेलक ३ महीनाक अनुदान
दिन बितल जाईय देखू
कहिया बनत संबिधान
गिद्ध जिका करैय सभ घिचातानी
नेता सभक पोषण में
 देसक टाका बनल पानी
तिन पार्टी में तेरह गुट
स्वार्थलोलुपतामें भेल फुट
करैय में लागल अछि सभ ब्रम्ह्लुट
सावधान!! सावधान!! सावधान!!
भलेही तू नेता जो स्वार्थमें फुट
मुदा हम जनता अखनो अछी एकजुट
शाही तंत्र के हम जनता केलौं अंत
जुनी बुझिहें अपनाक बलबंत
जौं तिन महिनामें संविधान नै बनलौं
हेतौ ६०१ सभासद्क शर्मनाक अंत !!!

रचनाकार:प्रभात राय भट्ट





कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

b