बुधवार, 17 अगस्त 2011

हम मधेसी हमर मधेश@प्रभात राय भट्ट

मेची सं महाकाली
चुरेभावर सं तराई
ई अछि हमर मधेश माई
हिन्दू मुस्लिम थारू
हम सभ छि भाई भाई
हिन्दुकें प्रणाम हमर मुस्लिमकें सलाम २ 

हमरा सभक एक मधेश माई
भगवान बुद्धक जन्मभूमि
बिधयापतिक कर्मभूमि
जनकदुलारी जानकी
जन्म लेलैथ अहिठाम
हिन्दूके प्रणाम हमर मुस्लिमके सलाम २

हम मधेसी हमर मधेश
हमरा चाही एक मधेश एक प्रदेश
अपन भाषा अपन भेष
कंचनपुर बसु या जनकपुर
चाहे लहान या ईलाम
हिन्दुकें प्रणाम हमर मुस्लिमकें सलाम २ 

आऊ भाई मिल क स्वतंत्रताक गीत गाऊ
कदम पैर कदम वीरकें भांति आगू बढ़ाऊ
परतंत्र मधेश केर स्वतंत्र मधेश बनाऊ
मधेश मुक्ति केर उत्सव सैद्खन मनाऊ
हरेक रंगमंच पैर मधेशक झंडा फहराऊ
हिन्दुकें  प्रणाम हमर मुस्लिमकें सलाम २

रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

b