गुरुवार, 29 दिसंबर 2011

मधेसी नेता सभ छथि बड बुधियार@प्रभात राय भट्ट

मधेसी नेता सभ छथि बड बुधियार
मधेस मुदा के बनौलक हथियार 
 
कियो नहीं कहू हिनका गद्दार आर मकार
मधेसी नेता सभ छथि बड़ ईमानदार
 
मधेस मुदा के राखैछ्थी यादगार
भलही मधेसी कें भेटैय नै अधिकार
 
उनचास मंत्रिमंडल में चौविस मधेसी
जुनी कियो कहू हिनका मालजाल मवेशी
 
राज्य समझैय हिनका सभके  विदेसी 
निसंदेह यी मवेशी सभ छथि स्वदेसी 
 
अपहरण हत्या सं मधेस अछि त्रस्त
लूटपाट में नेता....मुदा कियो नहीं कहू भ्रष्ट
 
चुनाव धैर जनता हिनकर माए बाप  
सता में पहुँचैत
 
हिनका पइर जाईतछैक अभिशाप
बापक सेवा में बुझाईत छैक हिनका पाप !!
 
रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

b