मंगलवार, 25 अक्तूबर 2011

जगमग दीप जरौने छि@प्रभात राय भट्ट

आबू नए हे मईया लक्ष्मी
हमरो घरमे आबू नए -----२
जगमग दीप जरौने छि
अहिक ध्यान धयने छि
वर्षेय आजू आनंद भवनमे
श्रद्धा सुमन मन उपवनमें

आबू नए हे मईया लक्ष्मी
हमरो घरमे आबू नए -----२
अन्न धन सं भंडार भरू
हमरो गरीबक उद्धार करू
रोग शोक कय दूर करू
सुख समृद्धि कय दूर करू

आबू नए हे मईया लक्ष्मी
हमरो घरमे आबू नए -----२
दिन दुखी हम दुखिया
आएलछि शरणमें अहींक मईया
मजधार में अटकल हमार नैया
भेटैयने कुनु पतवार कियो खेबैया

आबू नए हे मईया लक्ष्मी
हमरो घरमे आबू नए -----२
अहिं मलाह पतवार खेबैया
करियौने भवसागर सं पार हे मईया
सुनु ने हमरो पुकार हे मईया
करियौने हमरो वेड़ा पार हे मईया

आबू नए हे मईया लक्ष्मी
हमरो घरमे आबू नए -----२
कोना करी कीर्तन भजन
स्वर में अछि माधुर्ज नहीं
मोनक भाव प्रकट करवालेल
वाणी  में  अछि चातुर्ज नहीं

आबू नए हे मईया लक्ष्मी
हमरो घरमे आबू नए -----२
वाणीमें चातुर्ज दिय
स्वरमें माधुर्ज दिय
रिद्धिसिद्धि वंस वृद्धि दिय
गुणनमें रित सजनमें प्रीत दिय

रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट





कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

b