शनिवार, 29 अक्तूबर 2011

आबिगेलई छठी पूजा@प्रभात राय भट्ट

गाम आबू नए पिया आबिगेलई छठी पूजा
अहां बिनु आर कियो नहीं अछि हमर दूजा
पिया वितल कोजगरा दशहरा आर दिवाली
हाली हाली पकैरलिय एक्सप्रेस आम्रपाली 
गाम आबू नए पिया हमर परदेसिया
पकैर लिय गाडी भेटैत पढैत हमर पतिया--- //१

एसगर केकरा संग जैबैय छैठ घाट ययौ
नजैर तकैय पिया सदिखन अहींक बाट ययौ
के आनिदेतैय कुम्हार घर सं कुरवार ययौ
के आनिदेतय पिया  हाट  सं उखियार ययौ
गाम आबू नए पिया हमर परदेसिया
पकैर लिय गाडी भेटैत पढैत हमर पतिया--- //२


के आनिदेतैय डोम घर सं बांसक डाला
के आनिदेतैय माली घर सं फूलक माला
सोची सोची मोनमें उठैय बड जोर उठेस
गाम आबू नए पिया छोइड क परदेश
गाम आबू नए पिया हमर परदेसिया
पकैर लिय गाडी भेटैत पढैत हमर पतिया--- //३


जौ अहां पिया अईबेर गाम नहीं अयबैय
एसगर छठी पूजा हम कोना कय करबैय
सभक प्रीतम पिया आबिगेलई गाम ययौ
हम राटैछी पिया सदिखन अहींक नाम ययौ
गाम आबू नए पिया हमर परदेसिया
पकैर लिय गाडी भेटैत पढैत हमर पतिया--- //४

अईबेर जौ अहां गाम नहीं ऐबैय पिया
अहिबातक जोड़ी देख निर्सतै हमर जिया
एसगर पिया जखन हम करबैय खरना
अहांक वियोग में झहरतैय नोरक झरना
गाम आबू नए पिया हमर परदेसिया
पकैर लिय गाडी भेटैत पढैत हमर पतिया--- ५//

रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

b