बुधवार, 22 फ़रवरी 2012

gazal @prabhat ray bhatt

                  gazal
मनुखक दुर्गन्ध सं मनुख अछि परेशान शहर में

भागाभागी दौड़ा दौड़ी भेल गेल कतेको जान शहर में

गली गली में जाल बिछौने बैसल दुर्योधन दुशाषण

चिर हरण भेल द्रोप्तीक गेल कतेको प्राण शहर में

बस स्टैंड रेलवे स्टेशन टावर चौक पवार हॉउस

सगरो घुमैय नकाबपोश हत्यारा शैतान शहर में

अपहरण हत्या चंदा फिरौती सं बनल शीशमहल

रौशनी चमकैत महल में रहैय शैतान शहर में

वातावरण भेल धूमिल भोजनभात भगेल विषादी

नगर बधू कें जहर लेलक कतेको प्राण शहर में

गामक मंगला अईधैर घुईर नै आएल अछि गाम

आएल ओकर लाश चढ़ीगेल ओ वलिदान शहर में

अहिल्या तारा द्रोप्ती सीता सबहक होइए बेच बिखिन 
kumari kanya k hoiy ber ber kanyadan shahar me
varn:-21
prabhat ray bhatt

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

b