शनिवार, 21 अप्रैल 2012

हे यए गोरी अहाँ कतय चैलगेलियै--२

                 गीत:-

हे  यए गोरी अहाँ कतय चैलगेलियै--२  मुखड़ा

संग जीयब मरब किरिया खेने छलियै

संग छोड़ब नै सपथ लेने छलियै

छन में सभटा किरिया सपथ तोईड देलियै

हे यए गोरी अहाँ कतय चैलगेलियै--२

 

अहाँ बिन हम एकौ पल जीव नै सकब

माहुर विछोड्क हम पीव नै सकब

कहू संग कोना हमर अहाँ छोईड गेलियै

हे यए गोरी अहाँ कतय चैलगेलियै--२

 

छोट्मोट नोकझोंक होईते छै पियार में

साँच प्रेम कहाँ भेटत कतौ बाज़ार में

अदना बात पर किया रुईस गेलियै

हे यए गोरी अहाँ कतय चैलगेलियै--२

 

बाह्रैन नै पडैय गोरी घर आँगन दुवार में

बाती नै जरैय रहैत छि हम अन्हार में

दुधमुहा नेना के कोना बिसैर गेलियै

हे यए गोरी अहाँ कतय चैलगेलियै--२

 

खेतक काज सं थाकि आबी चूल्हा चौका करैछी

एसगर कन्किरबा कनकिरबी कें हमही डेबैछि

बच्चा बुच्ची सं मुह कोना मोईड लेलियै

हे यए गोरी अहाँ कतय चैलगेलियै--२


रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

b