मंगलवार, 10 अप्रैल 2012

गजल@प्रभात राय भट्ट

        
आइ अनचिन्हार आखर कें जन्म दिन थिक बर्ख 2008मे आइए केर तारीखसँ अ.आ मने अनचिन्हार आखर शुरू भेल अछि इ जानकारी आशीष अनचिन्हार जी द्द्वारा विदेह पर प्राप्त भेल तेहेतु अनचिन्हार आखर के समर्पित अछि हमर एकटा "गजल"

           गजल

आइ अ आ केर जन्मदिन थिक
हर्ष उलासक शुभदिन थिक

कोरा कागत पर अ आ लिखब
गजल लिखब शुभदिन थिक

ह्रिदय में उठल उद्वेग सं
गजल पढ़क शुभदिन थिक

कठोर ह्रिदय पलवित प्रेम
भाव सं भरब शुभदिन थिक

अ आ लिखल मैथिलिक गजल
गजल रचब शुभदिन थिक
वर्ण:-१२
रचनाकार:-प्रभात राय भट्ट

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

b