रविवार, 13 फ़रवरी 2011

फैस्गेल मधेसी जनता @प्रभात राय भट्ट


फैस्गेल मधेसी जनता बहुरुपिया नेताक जालमे !!
मधेसक शक्ति विभक्त भगेल दमनकारी शोसक के चालमें !!
जे भेलैथ मंत्री पद अध्यक्ष पद क आ अपन स्वार्थप्रति मोहित !!
ओ केलैथ विनार्थ मधेसक वीर शहीद केर सपना सेहो तिरोहित !!
जे केलैथ सामन्तबाद शासक केर चाकरी आ भक्ति !!
ओ कहैछैथ हम छि मुक्ति दाता मधेसी के देव प्रतिमुक्ति !!
फैस्गेल मधेसी जनता बहुरुपिया नेता क जालमे ................!!
अब्तरित होइया भ्रष्ट नेता नया नया रूप स:हरेक कालखंड के अन्तरालमे !!
जे छलैथ सामन्तबाद क पुजारी ,मधेस आन्दोलन के दमनकारी !!
ओ कहैय हम छि एक मधेस एक प्रदेश क निर्माण युगांतकारी !!
मधेसी क खून पसीना शोषण क रैय भरैया अपन भखारी!!
अपार धन सम्पति केर हक़दार होइतोमे मधेसी भेल भिखारी !!
फैस्गेल मधेसी जनता बहुरुपिया नेता क जाल में !!
अब्तरित होइया भ्रष्ट नेता नया नया रूप स हरेक कालखंड के अन्तरालमे !!
रचनाकार :प्रभात राय भट्ट

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

b